दुःख हरियौ भवानी

दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं,
अहाँके चरण लेल अलता लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।

अल्पना नै आबय हम कोना क बनेबै,
नीक हेतै मैया अपने सै लगेबै,
सोचै छलौं लाल मुदा आल ल लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।

डाली मे लाल फूल बैजन्ती हार छै,
गमगम पलाश पात तुलसी पथार छै,
जल्दी दर्शन आशे झटकल एलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।

दुनिया मे शांति रहै सएह हमर मोन मे,
सोझाँ पुजारिन हम बैसल छी कोन मे,
हमर बेर कखन एतै विह्वल भेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
अहाँके चरण लेल अलता लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
download bhajan lyrics (323 downloads)