सुनु सुनु रसिया

सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया-2
सुनु सुनु रसिया......

1. घर के काज में मोन नै लगइए,रही रही के श्याम आहाँ संग भगइये-2
छूटल प्रितिया 2
घर सँ श्याम छूटल प्रितिया,
सुनु सुनु रसिया.....

2. लोक लाज कुल रीत विसरलो,बंसी के धुन पर सब सखी दौरलौ-2
टूटल रीतियां 2
जग केर श्याम टूटल रीतियां,
सुनु सुनु रसिया.......

3. नै नक तीर कान्हा एना नै मारु,एना नै कान्हा आहाँ हमरा निहारु-2
हसइये सखिया 2
संग केर श्याम हसइये सखिया,
सुनु सुनु रसिया.......।

सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया-2
सुनु सुनु रसिया...... ।
श्रेणी
download bhajan lyrics (125 downloads)